Skip to content

जाइतक टुकरी

20150904_BinitThakur-Poem


जाइतक टुकरी नै ऊँच–नीच महान्
छी हम सब मैथिल मिथिला हमर शान

होइ छै एकेटा धरती एकेटा आकाश
पिवैत छी सबकिओ एकेटा बतास
चाहे ओ पंडित हो, पादरी आ खान

पसीना में चमकैत अछि जीवनकेर ज्योति
कर्मक बलसँ गढ़ैत छी हम मोती
सबहक लेल समय अछि ओतबे बलबान

किनको मन्दिर मे गारल छन्हि पुर्वजक खन्ती
हमर मन–मन्दिर में बजैत अछि अपन घण्टी
नाचथि आस्था के मन्दिर में हमरो भगवान

विनीत ठाकुर
मिथिलेश्वर मौवाही –६, धनुषा

मिथिलाक्षर (तिरहुता) लिपी

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *