Skip to content

ठंडीक एक कप गरम चाय


ठंडीक एक कप गरम चाय
देखिक ओकरा मोन मुसिकाय
छुवन सँ ओकर तन झुमिजाय
ठंडीक एक कप गरम चाय

छुवन सँ ओकर मचलल ठोर
ससरि हृदयमे कयलक भोर
अँग अँग गुदगुदायल मोर
खुशीक नहि अछि कुनो ओर

हाथक कमपनके कायल थीर
मोहि रहल अछि रसे रसे धीर
चुमी चुमी ठोर आनन्दित भेल
छुपाक जीयामे तरंगित भेल

शुभ साँझ बेरिया रहैय ध्यान
बिनु ओकरा कहाँ हमरा च्यान
सँगी साथीके सेहो छैक पसिन
बनोलक हमरा अपन अधीन

सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा ,नेपाल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *