Skip to content

सुधा मिश्र

खायल पान मखान छ‌ै (कविता)

शुभ दशमीके बिदाइ सुखरातिके आगमन छ‌ै
आजु शरद पूर्णिमा चान सोल्ह कला सँ सजल छै

इजोरक साडीमे धर्ती गगन चमचमायल छै
सिङ्घार फूल भूमि चुमल पवन गमगमायल छै

सोना स सजल नगरी (कविता)

पण्डित बलशाली महादेवक नगरी
जिनकर छल सोना स सजल नगरी
लङ्केश्वर पति रावणके कहब कि
बिना रावणके श्रीरामक अस्तित्व कि

शूपर्णखाके छल रावण सन भाइ
बहिन लेल हरलक सीता सन माइ
दुष्ट रावणमे छल अपूर्व अच्छाइ
पवित्र सीता जे देलैन रामके लोटाइ

असङ्ख्य हुनक गुणगान हे (कविता)

एकही माँ मे बहुतो रूप सजल
असङ्ख्य हुनक गुणगान हे
काली दुर्गा चण्डी महागौरी
अपार हुनक अवतार हे

दाँत खट खट जीव लह लह
देखि काँपल भूत पिशाच हे
एक हाथ गद्दा दोसर कत्ता
राक्षसके कायल संहार हे

जितिया पावनि बड भारी (कविता)

जितिया पावनि बड भारी
धियापुताके ठोकि सुतेलनि
अपने लेलनि भरि थारी

चुरा दही लय अंगुठन करब
सभ बहिन नोतब भाइके अपन
जाबे गंगा जमुनामे पानी बहे
ताबे हमर भाइके औंरदा रहे

चलि आउ प्रीतम मधुश्रावणीमे (कविता)

कानि कानि हम लिखैत चिठी छी
चलि आउ प्रीतम मधुश्रावणीमे

नहि पुजबै पावनि ज आहा नहि एबै
छोडिक पावनि प्रीतम बैँस जेबै
पंचमीमे एलखिन बालम सभहक
कोना मस्त सुतल बौरहबा हमर

सागर छथि गुरु (कविता)

बिनु शिंष्यके गुरुके कि पहिचान?
शिष्य स भेटैछैन हुनका मान
जगके बहुत छथि ज्ञानी गुमनाम
किया कि ओ नहि बटलथि ज्ञान

गुरु छथि सागर शिष्य बुंद एक
शिष्य बने सागर पाबि गुरुके भेट
बनाक शिष्य सुवास भरल फूल
गमैक जाति गुरु बहुत दूर दुर

घटा छै घनघोर (कविता)

साखि घटा छै घनघोर
बिजुवन नाचिरहल मोर
पपिहा दादुर करे शोर
पियबा दूर छथि मोर

पवन बहि लगेल संदेश
कहल सभटा मोनक वेग
छोरु नोकरी चलु देश
गर्जे चम्के सिनेहक मेघ

जुडल सिनेहिया (कविता)

चित्त चंचल अहिक ईशारा स‍S
बन्हने छि कहु कुन धागा सS
एलौ आहा कहु ठाम काहा सS
कोना जुडल सिनेहिया आँहा सS

आँटी साहसी होय हमर पिया
जागलमे स्वपन देखल जिया
छोइब नहि कहियो कहैछी
तब दुनियाँ स किया डरैछी

शुभ रहे नेपाल

शभ मेची शुभ महाकाली
शुभ शुभ रहे देश नेपाल
कुशल मंगल रहे नेपाली
जय जय रहे अपन नेपाल

हिमाल स झरैत झरना मे
मधेश पहाड भिजल रहे
मधेशक उपजल गहनामे
हिमाल पहाड सजल रहे

भांग (कविता)

जअ छुबके होय आकाश
जअ घुमके होय कैलाश
जअ होय छम छम नाची नाच
पिब लीय सर्वत घोरल भांग

चान तारा उतरत जमीन
सभकेउ लागत दोस्त महीम
आगु परोसल लडु खीर
ताय त पिबैत छला शिव

वीर सपूत (कविता)

वीर सपूतक पैघ बलिदानी
सभ किओ मिलिकऽ करु गुणगानी
भूलिकऽ अपन भोग विलाश
सुरक्षित कएलनि सभक अधिकार

बहाकऽ अपन शोनितक धार
देशक देलनि नव पहिचान
चलिकऽ हुनक देखाओलबाट
करी हुनक सपना के साकार

केउ रहैत हमरो (कविता)

हमरे स सजितै दुनिया ककरो
मन होइय केउ रहैत हमरो

हमर उठब होइतै ओकर भोर
लोकैत सभटा हमर खसैत नोर
चुभे नहि काँट कहीं ओछबति फूल
तापलाय हमरा करैत धुपक घुर

हमर माय (कविता)

धन्य छी हम
हमर अछि माय
हमहु छियै ककरो माय

पर्वत सँ ऊँच, सागर सँ गहींर
कमल सन कोमल, गंगा सन पवित्र
मथल अमृत, सभ सँ श्रेष्ठ
ममता आ सिनेहक प्रतिक अछि माय

केउ प्रेम करे हमरा (कविता)

बिसैरक इ दुनिया
केउ याद करे हमरा
दिवाना भय दिल स
केउ प्रेम करे हमरा

नहि देखे हमर वयस
नहि देखे हमर बदन
बस देखिक हमर मन
केउ प्रेम करे हमरा

सामा–चकेबा (कविता)

हमरासँग आबे गीत–नाद
झुमि उठे आँगन आ दलान
सजबैत हमरा डाला चंगेरा
हम छी अहाँ के सामा–चकेबा

दाइसँग पोती फेरे डाला
गाम बनल अछि एकेटा माला
वृन्दावन मे जँऽ आगि लागे
सभ के भैया जल सँ मिझाबे

छठि मैया के महिमा अपार (कविता)

छठि मैया के महिमा अपार
भक्ति मे डुबल अछि संसार
मैया आएल छथि गामक धार
जे मांगल से भेटल वरदान

गाई गोबर सँ भीर निपाओल
बाट–घाट सेहो निक सजाओल
जल मे ठाढ़ भऽ सुरुज अराधल
खेतक उब्जल नैवेद चढाओल