Skip to content

वीर सपूत (कविता)


वीर सपूतक पैघ बलिदानी
सभ किओ मिलिकऽ करु गुणगानी
भूलिकऽ अपन भोग विलाश
सुरक्षित कएलनि सभक अधिकार

बहाकऽ अपन शोनितक धार
देशक देलनि नव पहिचान
चलिकऽ हुनक देखाओलबाट
करी हुनक सपना के साकार

हुनके सँ सजल पहाड मधेश
नहि आबे आब कोनो कलेश
लहरा रहल सगरमाथा पर झन्डा
चमके देश जेना पूर्णिमाक चन्दा

राष्ट्र लेल केललनि जीवन अर्पित
हुनक सम्मान मे होउ समर्पित
हुनके सँ अपन ई धरती गगण
हृदय सँ करैत छी हुनका नमन ।

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *