शभ मेची शुभ महाकाली
शुभ शुभ रहे देश नेपाल
कुशल मंगल रहे नेपाली
जय जय रहे अपन नेपाल
हिमाल स झरैत झरना मे
मधेश पहाड भिजल रहे
मधेशक उपजल गहनामे
हिमाल पहाड सजल रहे
माथमे टोपी डारमे धोती
सभहक कोठी भरल रहे
छठिक ठकुवा देउसिक रोटी
पूरा नेपाल पसरल रहे
शिवक नगरी सीताक गाम
सिनेहक सागर उमरल रहे
सात प्रदेशक लअ रंग सात
आँगन इन्द्रधनुष बनल रह
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
