धन्य छी हम
हमर अछि माय
हमहु छियै ककरो माय
पर्वत सँ ऊँच, सागर सँ गहींर
कमल सन कोमल, गंगा सन पवित्र
मथल अमृत, सभ सँ श्रेष्ठ
ममता आ सिनेहक प्रतिक अछि माय
कनकनी मे आगि, गुमार मे शीतल
ऋतु मे वसन्त, अमावाश्या मे किरण
अनमोल रतन, सन्तक जीवन
के करत परतर ? सर्वगुणी अछि माय
नेनाक दुनियाँ मे मरब कि जीव
बूंद–बूंद शोणित सँ ओकरा पोषव
अपन जीवन निछावर करब
स्वार्थ रहित सृष्टिकर्तृ अछि माय
माय बनक आनन्द, खोजलो सँ भेटत कहीं ?
कतऽ भटकैत छी ? स्वर्ग अछि एतहिं
नहि जानि भगवान छथियो कि नहि ?
आस्था, भरोसा, विधाता अछि हमर माय ।
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
