साखि घटा छै घनघोर
बिजुवन नाचिरहल मोर
पपिहा दादुर करे शोर
पियबा दूर छथि मोर
पवन बहि लगेल संदेश
कहल सभटा मोनक वेग
छोरु नोकरी चलु देश
गर्जे चम्के सिनेहक मेघ
वारि बयस पहुके दुलारी
नोरे भिजल अछि शिरहानी
गम्कल बदन जेना फूल
कोना रही सकल छथि दूर
बहि जो पवन प्रीतम पास
बिनु हुनका हमहु उदास
हरपल हमरा हुनके ध्यान
उवाह छथि जिन्गीके चान
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
