हमरासँग आबे गीत–नाद
झुमि उठे आँगन आ दलान
सजबैत हमरा डाला चंगेरा
हम छी अहाँ के सामा–चकेबा
दाइसँग पोती फेरे डाला
गाम बनल अछि एकेटा माला
वृन्दावन मे जँऽ आगि लागे
सभ के भैया जल सँ मिझाबे
जाहि ठाम हमर भैया बैसे
ओतऽ चुगला चुगली करे
डिबिया बारि कऽ करब इजोत
चुला मुहढ़ौँसा के दागव ठोर
सामचको–सामचको अबिहा हे
मोर भैया के आशिष दिहा हे
खेलबै सामा मिलि सभ बहिन
हमर भैया जीवथि लाख वरिष
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
