मठ, मन्दिर, मस्जिद चर्च देखु सभमे ताला लागल
स्वास्थ्यकर्मी सुरक्षाकर्मी रुपमे ईश्वर बाहर आयल
करी हुनकर पुजा पाठ भजन किर्तन दीप रोशन
उवाह छथि दुःख हरनी पालनहार संकटमोचन
नहि देश नहि शानक लडि रहल मानवताके लँडाई
घुमी रहल अछि कोरोनारुपी राक्षस वायरस कँसाई
मचल अछि चँहुदिस कोना कोना विश्वमे त्राहिमाम
फेल भेल सारा विज्ञान नहि भेटल कुनो रोकथाम
घरमे रहि सभ केउ नहि करी लक्षुमण रेखापार
हरिक लजायत बहुरुपिया दुष्ट रावण अपन द्वार
माँ भुवनके बचाक करु कल्याण भय सिंह पर सवार
आउ हे मैयाँ कल्याणकारी करियौ इ जगके उबार
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा ,नेपाल
