
आगु हरपल बढैत रहलौ
आगु पलपल बढैत रहब
देशलेल सदिखन जिबैत रहलौ
देशेलेल सदैब जिबैत रहब
विचार झरना जाँ कंचन अछि
भाव हिमालय जाँ उच्च रहत
मोन महाकाली जाँ साफ अछि
गतर अमल जाँ सेवामे रहत
अखण्ड देश हमर संसार अछि
जन जन हमर परिवार बनल
एकही रंग इन्द्रधनुष लगै अछि
भूमि उठल मेदान समान लगल
शान्तिलेल शान्तिदुत बनैछी
विपैतमे सहयोगी हाथ हम
शुभ काजक सुरुआत करैछी
उपकार लाय हरदम ठार हम
फहराब लाय देशक झण्डा अपन
डटि दुर्गमके बनाबी सुगम हम
गाबि राष्ट्रगान करी हिअ सँ नमन
देशक सपुत वीर सिपाही हम
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा , नेपाल