
छोरिक तोहरहमर अपन आन
किछु पुण्य नाम कमालिय
कि लक एलौ अँहा कि लक जायब यो?
जे अँहाके आजु अछि
से ककरो काल्हि छलै
बुझिलिय इहो यथार्थ
ई ककरो काल्हि हेतै
जे लेलौ अतही सँ लेलौ
अतही छोरिक जायब यो
कि लक एलौ अँहा कि लक जायब यो?
कनैत असगर जगमे एलौ
कनाक सभके बिदा होयब
के जनैय काय घरी अछि बाँकी ?
कखन परान बदनके छोरत?
गजब अहि विधिके विधान
अहिमे जाय समायब यो
कि लक एलौ अँहा कि लक जायब यो?
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा ,नेपाल