Skip to content

केउ प्रेम करे हमरा (कविता)


बिसैरक इ दुनिया
केउ याद करे हमरा
दिवाना भय दिल स
केउ प्रेम करे हमरा

नहि देखे हमर वयस
नहि देखे हमर बदन
बस देखिक हमर मन
केउ प्रेम करे हमरा

नहि उल्हन परितर
नहि खिस निमरब
अर्पण कय तनमन
केउ प्रेम करे हमरा

नहि चाहि रत्नधन
नहि पटोरसिफन
बनाक अपन जीवन
केउ प्रेम करे हमरा

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा

2 thoughts on “केउ प्रेम करे हमरा (कविता)”

  1. पर्तिकिर्यो तो देखि ना अभितक
    पर्तिकिर्यो तो देखि ना अभितक ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *