वसन्तमे देखु वृक्ष कलशायल
पवनके सिंहकन स लजायल
धर्ती आयल कामदेवक वाण
प्रमोद विनोद स भरल सास
सभहक मुह पर रंग गुलाल
फैलल अछि प्रेमक बुखार
के छथि अपन के छथि आन
घर घर सभहक आन जान
अविर वर्षा रहल गगन
झुमल जमीन भय मगन
कोइलिक कु कु सुरमय गीत
आँचर लेपटायल मनक मित
काम नशा स भरल अछि साँझ
बिना पिने दूध मरीचक भांग
चानतारा स सजल आँगन
सजनीके निहारिरहल साजन
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
