जअ छुबके होय आकाश
जअ घुमके होय कैलाश
जअ होय छम छम नाची नाच
पिब लीय सर्वत घोरल भांग
चान तारा उतरत जमीन
सभकेउ लागत दोस्त महीम
आगु परोसल लडु खीर
ताय त पिबैत छला शिव
खुलि जायत बन्द केबार
ठोर पर आयत मोनक बात
बिसैरक सभटा डर लाज
पकैर लेब जा प्रेमिक हात
भूलिक व्यथा करब ठट्टा
मुखरा पहिरत हँसिक अंग्गा
रातिमे हायत निंद आराम
ताय त भांग छैक महान
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
