चित्त चंचल अहिक ईशारा सS
बन्हने छि कहु कुन धागा सS
एलौ आहा कहु ठाम काहा सS
कोना जुडल सिनेहिया आँहा सS
आँटी साहसी होय हमर पिया
जागलमे स्वपन देखल जिया
छोइब नहि कहियो कहैछी
तब दुनियाँ स किया डरैछी
कि राखल छै मोहित काया मे?
मन डुबै छै निश्चल माया मे
सकुन भेटैय अहिके साँया मे
शीतल भेटैय अहिके छाँया मे
लग रहु कि कोश दूर रहु
याद करू कि बिसरल रहु
मर्जी अहिके खुशी बनेने छी
कहब ने किछुवो प्रण केने छी
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
