Skip to content

शहीदक पत्नी – वीरांगना


सुनी दुष्ट शासक अन्यायी खबर
गगन काँपल धर्ती पर कहर
बौक भगेलैन खङ्कैत कंगना चुरी
करेजा घोपा गेलैन तलवार छुरी

कोमल बदन बनल छन्ही पाँथर
पवनो नही सिंहकल छन्ही आँचर
बारिए बरिसमे तेजल शृगार
बिसरल छथि ककरा कहै दुलार

कांह पर एलैन विप्तिक भार भारी
पुराब सपना पतिक पाथ धैल नारी
साउस ससुरके दरहल छाँया
हिनक बुढारीके केय हेतैन सहारा?

हुनक पीडाके नही छ‌ै कुनो पार
जीवनमे उठल छै ऊँधबा बयार
नयन उदास मुदा ठोर पर मुस्कान
नमन अछि हिनका छथि महान

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम -४
धनुषा, नेपाल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *