महामारीसँ सुरक्षित होब लेल लकडाउन
प्रत्यक्ष युद्धमे विजय होब लेल लकडाउन
अदृश्य शत्रु सँ जोगब लेल लकडाउन
अन्हार सँ इजोतमे आब लेल लकडाउन
मजदुरक रोजीरोटी लेलक लकडाउन
भुखभुखे जीयब विवस केलक लकडाउन
बाटघाट सुनसान बनेलक लकडाउन
स्कुल कलेज बन्द करेलक लकडाउन
पंक्षीचरी स्वतन्त्र बनेलक लकडाउन
मानवके परतन्त्र बनेलक लकडाउन
मँहगाइके मौषम अनलक लकडाउन
पावनितिहार बिसर लगेलक लकडाउन
पढलेल नहि छै कही कतौ लकडाउन
सिखलेल नहि छै कही कतौ लकडाउन
सिर्जनाके लेल नहि छै कुनो लकडाउन
कल्पनाके लेल नहि छै कुनो लकडाउन
वातावरण साफ स्वच्छ बनेलक लकडाउन
नदीपोखरि निर्मल बनेलक लकडाउन
चौरी चाचर जंगल सजेलक लकडाउन
कोइलीके मधुर धुन सुनेलक लकडाउन
लोभ लालच ईर्ष्या घटेलक लकडाउन
डाह गुमान अहंकार मिटेलक लकडाउन
हृदयमे प्रेमरस बहेलक लकडाउन
मानवताके पाठ पढेलक लकडाउन
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा ,नेपाल
