Skip to content

चारिटा मैथिली हाइकु – २२ (जुआन बाघ)

20200816_BinitThakur-Haiku


८५.
सिक्कैट पर
पाकल तिलकोर
खोदैय सुगा ।

८६.
कमल फूल
पर्शुराम कुण्ड मे
हेलैय सिल्ली ।

८७.
साइकल सँ
पर्यावरण रक्षा
उर्जा वचत ।

८८.
जुआन बाघ
हाथी सँ लडि़गेल
गिद्धक भोज ।

विनीत ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
धनुषा, प्रदेश नं. – २

मिथिलाक्षर (तिरहुता) आ देवनागरी दुनु लिपिमे प्रकाशित कृति ‘वसुन्धरा’ हाइकु संग्रह सँ साभार :

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *