रघुवर दुलहा के दुलहिन चान हे
राम–सीया के जोडी दिव्य समान हे
पारल अरिपन गजमोती सजाओल
शुभ–शुभ गाउ सखी छिटु दूभि–धान हे
जनक सभा मे देव मुनि पधारल
फूलक वर्षा संग सुमंगल गान हे
शील गुण सँ भरल सीता सुकुमारी
धन भाग राम के बढि गेलनि शान हे
ज्ञानक मूमि मिथिला कर्मक पाठशाला
राखव रामजी गठबन्धन के मान हे ।
विनीत ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
प्रदेश नं. – २, धनुषा