
नहि भटकु धामे–धाम राखु मानवता पर ध्यान
लागु दीन–दुखी के सेवा मे भेटत ओतही भगवान
भीतर सँ तोडि़ देलक मिथिला के दुःख आ गरीबी
मन्दिर के बाहर दुःखिया बनल अछि परजीवी
आत्मा मे काने परमात्मा देखियौ अवला के जान
जिनगी के सब धाम एतही छै जत गरीबक बस्ती
ओकरा किओ मानव ढाल बना कऽ करु नै बदमस्ती
ओकर दर्द के मलहम बनी कऽ करु ओकरे सबटा दान
सब नदी के पानी अमृत बुझु त भावक गंगा
धोउ अपन मोनक मयल चाहे खिचु धोती अंगा
त्यागु मोन सँ विरोध भाव के ऊगु बनी कऽ चान
विनित ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
प्रदेश नं. – २, धनुषा
देवनागरी आ मिथिलाक्षर (तिरहुता) दुनु लिपि मे प्रकाशित कृति ‘बदलैत परिवेश’ गीति संग्रह सँ साभार, प्रकाशन वर्ष : वि.सं. २०७३ साल, प्रकाशिका : कालीन्दी ठाकुर

