Skip to content

मोन मोर हरियाल अछि

  • by
SudhaMishra

बागबोन हरिएर गाछ वृक्ष हरिएर
माटिक हरियरी सँ नभ भेल हरिएर
हरिएर नुवामे मोन मोर हरियाल अछि
हरिएर पिएर चुरिक खनक कमाल अछि

पियाके रानी बनलौ नैहरक दुलारी
लएला बेसाहिक पाजेब बड भारी
छुनुर छुनुर बाजे मोर पैरक पैजनिया
सासूरक शोभा हम छियै नव कनिया

बहिनके रुपमे ननैद मोरा भेटलनि
भाइके रुपमे देवर मोरा भेटलनि
ननैद करैथ तंग मोरा देवर खौजाबथि
पियबा आबि मोरा हँसि हँसि मनाबथि

गोतनी अनुरागीन मोर मेंहदी लगोलनि
बीचे तरहथी पर बलमुवाके सजोलनि
नव बहना बना आबैथ दौरल अँगनमा
देखिक पियाके खङ्के हाथक कंगनमा

सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा,नेपाल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *