आयल मधु सावन केर मास
पुरब सभहक मोनक आश
पहिराक हरिएर हरिएर चुरी
मिटालीय बाँचल कुचल दुरी
बसिक ककरो मोनक आँगन
बनालीय ककरो अपन साजन
बरिसरहल प्रीतक बुन्द फुही
बागबोन चतरल जाही जुही
ककरो सास चलैछई तखन
अँहाक दिल धडकैय जखन
मेंहदिक चढल रंगक लाली
भमरा मचलल डाली डाली
छुवैछी पवन बनी सबदिन
छिन लैछी रातुक सबटा निन
उमरल नदी सागर केर ओर
लेल धनी प्रीतमके भरि कोर
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा,नेपाल