बाबा के पोती छियै हम मुनिया
हमरे ईशारा सँ चलै छै ई दुनियाँ
हमर पपनी उठे त उगे सुरुज
हमरा सँ सुन्दर नहि कुनो सुरैत
देखिए कऽ हमरा चान सेहो छुपल
हमरा सँ कोमल नहि कमल फूलल
हमरा सँ बढि़क नहि कुनो योद्धा
मारऽलेल महिषा हम बनलहुँ दुर्गा
हमरे शक्ति सँ हाइर भेलै रावण के
हमही छियै मैया अर्जुण आ कर्ण के
हमरे स्वर सँ गबैत छै नदीया
मस्ति भरल छियै बढि़क मदिरा
धैर्य के जननी छी हमही सीता
सुख समृद्धि के लेल हमही गीता
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा

गजब छ बैनी । यसलाइ ता सबै
गजब छ बैनी । यसलाइ ता सबै बुझें मैले । धन्यावद ।