उमरल अछि पिता प्रेमक सागर
हुनकर प्रेम सदिखन निछावर
भाव जगाकऽ करी पिताजी के आदर
अपना सँ बढि़ ओ सिनेहक सागर
हैप्पि फादर्स डे, शुभ पिता दिवश ।
कोना कहु छथिन कतेक पिताह
बात–बात पर जाइत छथिन खिसियाह
बहऽ लगैत छनि आँखि सँ नोर
बिदाह होइत छियनि लागि जखन गोर
पुत्री पिता के छन्हि पितृसतात्मक सोँच
बेटियो मे छै दम कहिया खुजतनि ठोर
जन्म, कर्म सहित छथि शिक्षा दाता
हमर पिताजी छथि हमर विधाता
बिनु कहने, महसुस हमर दुःख–दर्द
हुनक छत्रछायाँ मे लगैय जिनगी स्वर्ग
हृदय सँ करैत छी हुनका सम्मान
कोटि–कोटि छन्हि हुनका प्रणा म ।
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
