Skip to content

कोजगराके राति (कविता)


कोजगराक पूणिर्माके राति
विशेष कहैत किछु चान छै
सत्यनारायणजीके पूजा हेतै
ठाकुरजीके शुभ चुमान छै

पान मखानजे स्वर्गो दुर्लभ
सभहक आँचर गमछा छै
पाग खराममे भैया सजल
भारमे खाजा मुंगबा छै

मिथिला भूमि मैथिल पन
सन नहि दोसर आन छै
वर, वरी, अचार, दही ल
पाहुनके होइत सत्कार छै

भैया भौजीमे बाजी लागल
खेल रहल पचिसी छै
दहीके होरी आँगन मचल
पवनमे घुलल बत्तिसी छ

सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *