Skip to content

करु मैयाके जय जयकार

  • by
SudhaMishra

खुशी लुटाबलाय
दर्द हटाबलाय
माँ छथिन सिंह पर सवार
करु मैयाके जय जयकार

लाल लाल ओढन लाले छनि पहिरन
कानमे बाली शोभैन हाथमे कँगन
जगके जुरबलाय
पापीके मिटबलाय
माँ छथिन सिंह पर सवार
करु मैयाके जय जयकार

नामि नामि केशिया भुइया छनि लौटनि
पयरक पँजनिया बजैछनि छम छम
मानपके रक्षालाय
दानवके संहारलाय
माँ छथिन सिंह पर सवार
करु मैयाके जय जयकार

माथ लाल टिकुली नाक शोभनि नथिया
कमल नयनवालीके नयनमे सिनेहिया
पिरित गम्काबलाय
हर्षित बरसाबलाय
माँ छथिन सिंह पर सवार
करु मैयाके जय जयकार

सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा ,नेपाल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *