१७.
बरक गाछ
चतरल ठाढ़ छै
लोक बेपत्ता ।
१८.
शीतलहरि
शीतायल सियार
खोजैय रौद ।
१९.
प्रदूषण सँ
प्राकृतिक सौन्दर्य
विनाश भेल ।
२०.
अषाढ़ मास
रिमझिम वर्षा मे
नाचे दादुर ।
बिनित ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
धनुषा, प्रदेश नं. – २
मिथिलाक्षर (तिरहुता) दुनु लिपिमे प्रकाशित कृति ‘वसुन्धरा’ हाइकु सङ्ग्रह सँ साभार ।

