मनेमन सोचि रहल सिया बेटी
नैहर छोडि धिया आब सासुर जेती
किया सजला बाबु मोर स्वयम्बर
हृदय स भचुकल हम हुनकर
देश विदेशक भूप लोक आयल
देखिएक धनुष छुबैत डरायल
रानी सुनयनाके एक आश बोँचल
केउ सपूत आयत जरूर आंगन
चौरी चाँचरमे उमंग सिहैकगेल
घर आँगन हीरामोती झलैकगेल
सीताक नयन स्वागत लाय आतुर
राम धनुष उठबलेल व्याकुल
सुनयना र्ओचर फैलल अनुराग
रामक हृदय सुलगल प्रेमभाव
जनक आँखि स बहिगेल दुलार
सीताक हात अछि सजल जयमाल
सुधा मिश्र
जनकपुरधाम – ४
प्रदेश नं. २, धनुषा
