२९.
बैशाख मास
तप्पत बाउल मे
ठाढ़ बबूर ।
३०.
बूढ़ पाकरि
कनोजरि केसँग
भेल जुआन ।
३१.
सीमक लत्ती
बतिया सँ मातल
बरसे लाही ।
३२.
मिठका विष
उगले गहुमन
करैत चुप ।
विनित ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
धनुषा, प्रदेश नं. – २
मिथिलाक्षर (तिरहुता) दुनु लिपिमे प्रकाशित कृति ‘वसुन्धरा’ हाइकु सङ्ग्रह सँ साभार ।

