Skip to content

प्रसव पीडा (कविता)


दिने मे देखारहल छल रातुक तरेगन
पत्ता नही छल चान उतरल हम देखब

छटपट तन पर भारी पीडाके बादल
मोन तैयो छल जेना अरिपन देल आँगन

अपघटमे प्राण मुदा वसन्त पसरल छल
भुलल छलौ व्यथा नव जीवनके आभाश छल

जखन श्रवण भेल वउवाके कानब
जर लागल दीप अन्हार सब भागल

प्रसवक दर्द- पीडा एक एक कँ बिसरल
जखन नेनाके देखलौ भइर दुनु नयन

हर्षक पल कि कहीं कहु नही अछि शब्द
हे विधाता नारिएमे दिहा पूनः द‍ोसर जन्म

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *