पावनि जुडशितलक संक्षिप्त परिचय


वैशाख सकराइतके परात मिथिला – मधेशमे जुडशितल मनायल जाति छै । नव वर्ष तथा सतुवानि पावनि मनेलाक उपरान्त दोसरदिन मिथिला – मधेशमे पावनि जुडशितल मनबाक परम्परा रहियाल छै । अहिदिन घरक बुजुर्ग बासि पानी सँ घरपरिवार आ समाजक अपना सँ छोट व्यक्तिके एक चुरुक पानी सँ माथा थपथपाक जुडायल रहु कहिक आशीर्वाद दैत छै । यी देलगेल आशीर्वाद सँ लोक सालभरि जुडायल रहछै से विश्वास रहियाल छै । जुडशितलके बासि पावनि सेहो कहल जाति छै । अही पावनिमे बासि खायके परम्परा रहियाल छै । सतुवानि दिन रातिमे रान्हल वरी भात जुडशितल दिन खायल जाति छै ।

जुडशितल दिन मिथिला – मधेशमे खास परिकार खायके चलन रहियाल छै । अहिदिन विशेष रुप सँ बसिया भात, वरी, सोहिजनके तरकारी, तरुवा आ दही खायल जाति छै । इ खास परिकारोमे खास मानल गेल छै कुच्चा जे आमक टिकुला सँ बनाउल जाति छै । स्वादमे विशिष्ट कुच्चा सभके प्रियगर लगैत छै । जुडशितल दिन सब किछु बासि खायके परम्परा रहिआयल छै । जुडशितलके दिन भोरमे चुल्ही नही पजारल जाति छै । घरक सब मुह पर प्रसाद रुपमे वरी भात चढायल जाति छै । श्रेष्ठबुढ लोग भोरे भोरे अपन हितप्रेमके आँगनमे जाक जुडाबके चलन रहियाल छै ।

जुडशितल पावनि एकटा रमनगर उत्सवके रुपमे सेहो मनायल जाति छै । अहिदिन लोक एकदोसरके थालमाटि लगाक मनोरंजन करैछै । होरी रंग बरसाक खेलल जाति छै त जुडशितल थालपानीसँग खेलल जाति छै । अही दिन ननैद- भौजाइ बीच थाल माटिलय रंगरभस कायल जाति छै । तहिना सार बहिनोईमे सेहो थालमाटि लय खुब धमगज्जर कायल जाति छै । धर्ती मायके दुलार पूरा देहमे लेप यी पावनि समूहमे सेहो खेलायल जाति छै । बहुत मोनमोहित होइत छै यी दृश्य । धर्ती माँके आभुषण लय सब अपनाके अनमोल ढंग सँ सजेने रहैछै ।

अहिपावनि दिन माटिमे निपायल सबके देख लगैत छै जेना सभ मनुष्य सचमे धर्ती माँके सन्तान छै ।

मिथिला – मधेशमे जुडशितल दिन घर आँगनके निपल पोतल जाइ छै । सबटा गाछ वृक्षमे पानी पटायल जाति छै । मालजालके सेहो जुडशितल दिन नहायल जाति छै । घरमे पंक्षी पालल गेल छै त ओकरो नहायल जाति छै । पानी लक जुडायल जाति छै । ध्यान राखल जाति छै जे जुडशितल दिन सबके आत्मा तृप्त होइ । हर प्राणी, घर, आँगन आ दलान जुडायल रहै । सबठाम चारुदिस गुमारक समयमे शीतल शान्तिके बाँस होय ।

सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा, नेपाल

  •  
  •  
  •  
  •  
  •  
  •  
  •  

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *