Skip to content

चारिटा मैथिली हाइकु – १५ (धानक शीश)

20200417_BinitThakur-Haiku


५७.
धानक शीश
मूसक बिहुर मे
अगहन छै ।

५८.
ग्रीष्म ऋतु मे
चढ़ल तापमान
किटाणु नष्ट ।

५९.
अधिक गर्मी
अलसायल मोन
पाकल आम ।

६०.
पंडित काग
खोधे एक भोर सँ
पाकल बेल ।

विनीत ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
धनुषा, प्रदेश नं. – २

मिथिलाक्षर (तिरहुता) दुनु लिपिमे प्रकाशित कृति ‘वसुन्धरा’ हाइकु संग्रह सँ साभार ।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *