७७.
सपनौर सँ
लड़ल गहुमन
खण्डित भेल ।
७८.
दू टा विवाह
कयलक मुसबा
अगहन मे ।
७९.
कुकुर देखि
नुकाएल बिलरा
भुसाक घर ।
८०.
साँढ़, बरद
लड़ल दरबाजा
ढ़हल टाल ।
विनीत ठाकुर
मिथिला बिहारी नगरपालिका
मिथिलेश्वर मौवाही – ३
धनुषा, प्रदेश नं. – २
मिथिलाक्षर (तिरहुता) दुनु लिपिमे प्रकाशित कृति ‘वसुन्धरा’ हाइकु संग्रह सँ साभार :

