Skip to content

हम बगियाके फूल (मैथिली गजल)


हम बगियाके फूल गमैक हृदय अँहाक जाइय
हम सिनेहक लुती सुलैग हृदय अँहाक जाइय

कारी घनगर केश जखन बादल बनी वरैसय
वादुर पपिहा गवैय भिजैत हृदय अँहाक जाइय

कोमल हाथमे जखन कंगना रसे ससरैय
शँहनाई गुंजि उठैय खनैक हृदय अँहाक जाइय

नहु नहु चाल सँ जखन डार मोर लचकैय
राति सुहावन बनैय मचैल हृदय अँहाक जाइय

काजर सजल नयन जखन लाज सँ उठैय
तरंगित कोबर खुलैय बहैक हृदय अँहाक जाइय

सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा,नेपाल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *