दशमीबाट तकिते बितल कोजगराक चान उगादीय
फुल हमर फुलल अछि आबि अँहा आँगन गमकादीय
धोती कुर्ता गमछामे अँहा लगबै जेना नवका वर यो
ललितगर नुवा पहिर हमहु बटबै पान मखान यो
छन् मन छन् मन तरुवा तरबै छमैक जेतै पाजेब यो
जँ निहारबै अँहा हमरा शिरी चढतै हमर शृङ्गार यो
धकधक धकधक हम धडकबै अँहु हेबै नेहाल यो
दूर जो कोनाक बेमत भेल छी ? पुरुषक कुन आश यो
सुधा मिश्र
जनकपुर -४
धनुषा,नेपाल